'प्रकृतिक समस्त वस्तु मे एहन कोनो वस्तु नहि अछि जकर उपादेयता नहि होइक अथवा जाहि मे गुणक सत्ता नहि होइक । ई बात भिन्न थिक जे हमरा सभक अल्प बुद्धि मे समस्त पदार्थक गुण बुझबाक शक्ति नहि हो, किन्तु तें कोनो वस्तु कें गुणहीन बुझब अपन अल्पज्ञताक द्योतक होयत।' प्राकृतिक वस्तुक उपादेयताक प्रसंग कहल गेल अछिः
(A) समस्त प्राकृतिक वस्तु उपादेय थिक ।
(B) प्रकृतिक किछु वस्तु उपादेयक थिक।
(C) प्रकृतिक किछु वस्तु अनुपादेय थिक ।
(D) उपर्युक्त मे सँ एक सँ बेसी
(E) उपर्युक्त मे से कोनो नही